Friday, July 25, 2008

बिहार में वित्त शिक्षा समाप्त

बिहारक मुख्यमंत्री नीतिश कुमार विधानमंडलक दूनू सदन में वित्त रहित नीती के समाप्तिक घोषणा करैत सरकारी अनुदानक फार्मूला पेश केलनी। १९८२ स चली आइल इ नीति प्रदेशक लेल बदनुमा दाग छल। मुख्यमंत्री स्पष्ट क देलखिन जे छात्रक सफलताक आधार पर ओहने संसथान के अनुदान प्रदान कएल जेतै जकरा अपन भूमि, भवन, प्रयोगशाला आ छैक तथा जे शिक्षा स सम्बंधित बुनियादी मानदंड पुरा करैत अछि। २५ वर्षक तपस्याक बाद एही व्यवस्था स कतोक घर में आशाक संजीविनी पुनर्स्थापित भेल अछि।

Wednesday, July 9, 2008

'हम मैथिल छि' अभय कुमारक एकटा अनुभव

हमरा गर्व अछि जे की हम मैथिल छि। अतेक पुरान अछि मिथिलाक संस्कृति आ सभ्यता
कतवा मीठ अछि अहि ठामक रहन-सहन बाजब-भूकब।
हम ओई मैथिल समाजक एकटा अंग थिकहूँ जाही मैथलिक अबहेलना अपन आंगन में (भारत) कियेक ने होइछ मुदा गर्व आ नाज़ अछि अपन भाखा पर जाहीक अनुकरण विदेश में देखल जाईत अछि। जकरा बारे में परीकल्पनो ने कयल जा सके अछि। इ हमरा बुझवा में तखन आयल जखन की एक टा अमरीकन महिला के मिथिलाक प्रति नेह इ प्रर्दशित क' देलक जे हम सब एहन सुनर सभ्यता, संस्कृति, भाषा, परिधान सबहिक छोड़ी पाश्चात्य सभ्यातक अनुकरण क रहल छि मुदा ओ महिलाक प्रेरणा हमरा मन के झक झोर देलक हम ओकरा लग अपना के निम्न आ तुक्ष महसूस कर लग्लौ ओकरा द्वारा विशुध भाषा के प्रयोग सुनि परन्तु बोली मैथलिक छल, हम अपना के गर्व महशुस कर' लगलू।